विराटनगर। नेपाल पत्रकार महासंघ मोरङ आ न्युरो अस्पताल विराटनगरक बीच स्वास्थ्य उपचार सेवाक लेल तीन वर्षक लेल नवका सम्झौता भेल अछि। एहन सम्झौता न्युरो कार्डियो एंड मल्टिस्पेसियालिटी अस्पताल आ महासंघ मोरङक बीच सम्पन्न भेल अछि।
सम्झौताक दौरान न्युरो अस्पतालक कार्यकारी निर्देशक अनिशा विष्टक उपस्थिति छल, आ महासंघ मोरङक अध्यक्ष सुशीला पाठक आ अस्पतालक अपरेशनल डाइरेक्टर राजेश भट्टराई हस्ताक्षर केलनि।
सम्झौता अनुसार, अस्पताल निम्न सेवासभ नि:शुल्क प्रदान करत:
ओपिडी सेवा (पत्रकार आ ओहि परिवारक लेल)
आकस्मिक सेवा
एम्बुलेन्स सेवा (विराटनगरक भीतर पत्रकारक लेल)
प्याथोलोजी, एक्सरे, अल्ट्रासाउन्ड, इसिजी, इको, इन्डोस्कोपी, क्लोनोस्कोपी सेवा
बेड चार्ज
फिजियोथेरापी सेवा
ओहि संगहि, एमआरआई, सिटी स्क्यान, सिटी एन्जियोग्राफी, क्याथल्याब, आइसियू, सिसियू, भेन्टिलेटर, बोनम्यारो डेनसिटी, इइजी, एनसिभी, एनसिएस, आ अन्य कईटा सेवा पर ५०% छुट देल जायत। पत्रकारक आश्रित परिवारक लेल ४०% आ ३०% छुटक व्यवस्था सेहो कयल गेल अछि।
नेपाल पत्रकार महासंघ मोरङक साधारण सदस्य आ महासंघक सिफारिस संग सक्रिय पत्रकारक लेल न्युरो अस्पताल स्वास्थ्य उपचार सेवाक व्यवस्था करत। विगत छह वर्ष सँ इ साझेदारी चलि रहल अछि, आ पछिला तीन वर्षक दौरान मोरङ जिलाक २०० पत्रकार आ हुनकर परिवार सदस्यक उपचार भेल अछि।